समोवेशी विकास कें लेल कौश्ल विकास
वर्ष 2011 के जनगरना कें मुताबिक भारत कें ग्रामीण क्षेत्रक मे 15 वर्ष स ल 35 कें उम्र कें बीच कें 5.50 करोड संभावित कामगार छै. अस स भारत के लेल अपन अतिरिक्त जनसंख्या कें एकटा जनसंख्यायिक लाभांश कें रूप मे परिणत कर कें एकटा ऐतिहासिक अवसर सामने आयब रहल छै. ग्रामीण विकास मंत्रलय स गरीब परिवारक कें ग्रामीण युवाक कें कौशल विकास आ उत्पादक क्षमता कें विकास कें बल पर दीनदयाल उपाध्याय ग्रामीण कौशल योजना (डीडीयू-जीकेवाई) कें कार्यान्वयन स देश कें समावेशी विकास कें लेल इ राष्ट्रीय एजेंडे पर जोर दई छै.
आधुनिक बाजार मे भारत कें ग्रामीण निर्धनक कें आगू लावे मे कतेकों चुनौतिक छै. जैना कि औपचारिक शिाक्षा आ बाजार कें अनुकूल कौश्ल कें कमी होनाइ . विश्वस्तरीय प्रशिक्षण , वित्तपोषण रोजगार उपलब्ध करावा पर जोर देवाक, रोजगार स्थायी बनावा, आजीविका उन्नयन आ विदेश मे रोजगार प्रदान कर कें जैना उपायक कें माध्यम स डीडीयू-जीकेवाई अइ अंतर कें पाट मे काज कर कें छै.
डीडीयू-जीकेवाई कें माध्यम स कौश्ल प्रदान कर वाला परियोजनाक स जुडल रोजगार कें लेल वित्तपोषण सहायता उपलब्ध करैल जाइ छै. जइ स प्रतिव्यक्ति 25,696 रुपया स ल क 1 लाख रुपया तक वित्तपोषण सहायता कें साथ बाजार कें मांग कें समाधान कैल जेतय. जे परियोजना कें अवधि आ आवासीय या गैर -आवासीय परियोजना पर आदारित छै. डीडीयू-जीकेवाई कें माध्यम स 576 घंटाक स ल क 2304 घंटाक (बारह माह ) कें अवधि वाला प्रशिक्षण पयिोजनाक कें लेल वित्तपोषण कैल जा रहल छै.
वित्तपोषण संबंधी घटक मे प्रशिक्षण कें खर्च रह आ खान- पीन आवा जै कें खर्च ,नियोजन पश्चयात सहायता खर्च , आजीविक उन्नयन आ स्थायी रोजगार सहायता संबंधी खर्च मे सहायता देवाक शमिल छै.
परियोजना वित्तपोषणक मे परियोजना कार्यान्वयन एजेंसिक (पीआइए) कें प्राथमिकता
डीडीयू-जीकेवाई कें माध्यम स खुदरा आतिथ्य ,स्वास्थ्य निर्माण , स्वचालित चमडा ,बिजली प्लमबिंग, रत्न आ आभूषण आदि जैना अनेक 250 स से हो बेसि ट्रेडंक मे अनेक कौशाल प्रशिक्षण कार्यक्रम कें लेल वित्तपोषण कैल जाय छै. केवल मांग आधारित आ कम स कम 75 प्रतिशत प्रशिक्षक कें रोजगार देव कें लेल कौशल प्रशिक्षण शासनादेश छै.
राष्ट्रीय कौशाल विकास नीति 2009 कें माध्यम स भारत एकटा ऐहन राष्ट्रीय योग्यता कार्यक्रम तैयार कर कें जरूरत पर बल दय छै. जे सामान्य शिाक्षा आ व्यावसायिक शिक्षा दोनोंक कें प्रशिक्षण स जोडय छै. तदनुसार भारत सरकार जे राष्ट्रीय कौश्ल योग्यता कार्यक्रम (एनएसक्यूएफ) अधिसूचित केने छै ताकि कौशल प्रशिक्षण कार्यक्रमक कें लेल राष्ट्रीय स्तर कें प्रणाली विकसित कर कें संग ही अंतर्राष्ट्रीय स्तर पर तुलनायोग्य योग्यता प्रणाली विकसित कैल जा सक य छै.
डीडीयू -जीकेवाई पूराक देश मे लागू छै. फिलहाल इ योजना 33 राज्यक / केंद्रशासित प्रदेश कें 610 जिलाक मे कार्यान्वित कैल गेल छै. अय मे स 50 50 स अधिक क्षेत्रक स जुडल 250 स अधिक ट्रेडंक कें शामिल करयत 202 स बेसि परियोजना कार्यान्वयन एजेंसिक कें साङोदारी छै. एखन तयक वर्ष 2004-05 स ल क 30 नवंबर 2014 तक कुल 10.94 लख उम्मीदवारक कें प्रशिक्षित कैल गेल छै आ कुल 8.51 लख उम्मीदवारक कें रोजगार प्रदान कैल गेल छै,
स्त्रोत :श्री एल सी गोयल (ग्रामीण विकास मंत्नालय में सचिव),पत्न सूचना कार्यालय,भारत सरकार
अंतिम बेर संशोधित : 6/14/2020