অসমীয়া   বাংলা   बोड़ो   डोगरी   ગુજરાતી   ಕನ್ನಡ   كأشُر   कोंकणी   संथाली   মনিপুরি   नेपाली   ଓରିୟା   ਪੰਜਾਬੀ   संस्कृत   தமிழ்  తెలుగు   ردو

सर्व शिक्षा अभियान

सर्व शिक्षा अभियान कें कार्यान्वयन वर्ष 2000-2001 सं कैल जा रहल छै जेकर उद्देश्य सार्वभौमिक सुलभता एवं प्रतिधारण, प्रारंभिक शिक्षा मे बालक-बालिका एवं सामाजिक श्रेणी केंअंतरक कें दूर करय तथा अधिगम कें गुणवत्ता मे सुधार कें लेल विविध अंत:क्षेपक मे अन्य बातक कें संग-संग नया स्कूल खोला जानाय तथा वैकिल्पक स्कूली सुविधाक प्रदान करनाय, स्कूलक एवं अतिरिक्त कक्षा-कक्षाक कें निर्माण करय, प्रसाधन-कक्ष एवं पेयजल सुविधा प्रदान करनाय, अध्यापकक कें प्रावधान करनाय, नियमति अध्यापकक कें सेवाकालीन प्रशिक्षण तथा अकादमिक संसाधन सहायता, नि:शुल्क पाठ्य-पुस्तकक एवं विर्दयां तथा अधिगम स्तरक/परिणामक मे सुधार कें लेल सहायता प्रदान करनाय शामिल छै

सर्व शिक्षा अभियान जिला आधारित एकटा विशिष्ट विकेनिद्रत योजना छै. एकर माध्यम सं प्रारंभिक शिक्षा कें सार्वभौमीकरण करय कें योजना छै. एकरा लेल स्कूल प्रणाली कें सामुदायिक स्वामित्व मे विकिसत करनाय रणनीति अपना कर काज कैल जा रहल छै. इ योजना समूचा देश मे लागू छै आ अस मे सबटा प्रमुख सरकारी शैक्षिक पहल कें शामिल कैल गेल छै.

सर्व शिक्षा अभियान की छै

  • सार्वभौमिक प्रारंभिक शिक्षा कें लेल एकटा स्पष्ट समय-सीमा कें संग कार्यक्र म.
  • पूरा देश कें लेल गुणवत्तायुक्त आधारभूत शिक्षा कें माँग कें जवाब,
  • आधारभूत शिक्षा कें माध्यम सं सामाजिक न्याय कें बढ़ावा देवय केंअवसर,
  • प्रारंभिक शिक्षा कें प्रबंधन मे - पंचायती राज संस्थाआक, स्कूल प्रबंधन समिति, ग्रामीण व शहरी गंदी बस्ती स्तरीय शिक्षा समिति, अभिभावक-शिक्षक संगठन, माता-शिक्षक संगठन, जनजातीय स्वायतशासी परिषद् आ अन्य जमीन सं जुड़ल संस्थाअक कें, प्रभावी रूप सं शामिल करय कें प्रयास,
  • पूरा देश मे सार्वभौमिक प्राथमिक शिक्षा कें लेल राजनीतिक इच्छा-शक्ति कि अभिव्यक्ति,
  • केन्द्र, राज्य एवं स्थानीय सरकार कें बीच सहभागिता व
  • राज्यक कें लेल प्रारंभिक शिक्षा केंअपन दृष्टि विकिसत करय कें सुनहरा अवस

सर्व शिक्षा अभियान कें फोकस एरिया

  • वैकिल्पक स्कूली व्यवस्था
  • विशेष जरूरतमंद बच्चाक
  • सामुदायिक एकजुटता या संघटन
  • बालिका शिक्षा
  • प्रारंभिक शिक्षा कें गुणवत्ता

संस्थागत सुधार - सर्व शिक्षा अभियान कें एकटा भाग कें रूप मे राज्यक मे संस्थागत सुधार कैल जेतय. राज्यक केंअपन मौजूदा शैक्षिक पद्धति कें वस्तुपरक मूल्यांकन करय कें हेतय जइ मे शैक्षिक प्रशासन, स्कूलक मे उपलब्धि स्तर, वित्तीय मामलक, विकेन्द्रीकरण तथा सामुदायिक स्वामित्व, राज्य शिक्षा अधिनियम कें समीक्षा, शिक्षकक कें नियुक्ति तथा शिक्षकक कें तैनाती कें तर्कसम्मत बनेनाय, मॉनीटरिंग तथा मूल्यांकन, लड़कियक, अनुसूचित जाइत/अनुसूचित जनजाइत तथा सुविधाविहीन वर्गक कें लेल के लिए शिक्षा, निजी स्कूलों तथा ई.सी.सी.ई. संबंधी मामलक शामिल हेतय.कई राज्यक मे प्रारंभिक शिक्षा प्रदान करय कें व्यवस्था मे सुधार कें लेल संस्थागत सुधार सें हों कैल जेतय.

सतत वित्त पोषण - सर्व शिक्षा अभियान अइ तथ्य पइर आधारित छै की प्रारंभिक शिक्षा कार्यक्र म कें वित्त पोषण हमेशा जारी राखल जै. केन्द्र आ राज्य सरकारक कें बीच वित्तीय सहभागिता पइर दीर्धकालीन परिप्रेक्ष्य कें अपेक्षा छै.

सामुदायिक स्वामित्व - अइ कार्यक्र म कें लेल प्रभावी विकेन्द्रीकरण कें जरिए स्कूल आधारित कार्यक्र मक मे सामुदायिक स्वामित्व कें अपेक्षा छै. महिला समूह, ग्राम शिक्षा समिति कें सदस्यक आ पंचायतीराज संस्थाअक कें सदस्यक कें शामिल कयर क अइ कार्यक्र म कें बढ़ैएल जतय.

संस्थागत क्षमता निर्माण - सर्व शिक्षा अभियान कें माध्यम सं राष्ट्रीय शैक्षिक योजना एवं प्रशासन संस्थान/ राष्ट्रीय शिक्षक शिक्षा परिषद्/राज्य शैक्षिक अनुसंधान व प्रशिक्षण परिषद्/सीमेट (एस.आई.ई.एम.ए.टी.) जैसी राष्ट्रीय एवं राज्यस्तरीय संस्थाअक कें लेल क्षमता निर्माण कें महत्वपूर्ण भूमिका कें परिकल्पना कैल गेल छै.गुणवत्ता मे सुधार कं लेल विशषज्ञक कें स्थायी सहयोग वाली प्रणाली केंआवश्यकता छै.

शैक्षिक प्रशासन की प्रमुख धारा मे सुधार - अइ मे संस्थागत विकास, नयी पहल कें शामिल कयर क आ लागत प्रभावी आ कुशल पद्धतिक अपना क शैक्षिक प्रशासन कें मुख्य धारा मे सुधार करय कें अपेक्षा छै.

पूर्ण पारिदर्शता युक्त सामुदायिक निरीक्षण - अइ कार्यक्र म मे समुदाय आधारित पद्धति अपनैल जेतय. शैक्षिक प्रबंध सूचना पद्धति, माइक्र ो योजना आ सर्वेक्षण सं समुदाय आधारित सूचना कें संग स्कूल स्तरीय आंकड़क कें संबंध स्थापित करतय. अइ कें अलावा प्रत्येक स्कूल एकटा नोटिस बोर्ड रखतय जइ मे स्कूल द्वारा प्राप्त कैल गेल समूचा अनुदान आ अन्य ब्यौरे दर्शाएल जेतय.

योजना इकाई कें रूप मे बस्ती - सर्व शिक्षा अभियान आयोजना कें इकाई कें रूप मे बस्ती कें संग योजना बनवएयत समुदाय आधारित दृष्टिकोण पइर कार्य करएयत छै. बस्ती योजनाएं जिला कें योजनाएं तैयार करय कें आधार हेतय.

समुदाय कें प्रति जवाबदेही - सर्व शिक्षा अभियान मे शिक्षकक, अभिभावकक आ पंचायतीराज संस्थाअक कें बीच सहयोग तथा जवाबदेही एवं पारिदर्शता कें परिकल्पना कैल गेल छै.

लड़कियक कें शिक्षा - लड़कियक विशेषकर अनुसूचित जाति एवं अनुसूचित जनजाति कें लड़कियक कें शिक्षा, सर्व शिक्षा अभियान कें एकटा प्रमुख लक्ष्य हेतय.

विशेष समूहक पइर ध्यान - अनुसूचित जाइत, अनुसूचित जनजाइत, धार्मिक एवं भाषाई अल्पसंख्यकक, वंचित वर्गक कें बच्चचाक आ विकलांग बच्चाक कें शैक्षिक सहभागिता पइर विशेष ध्यान देल जेतय.

परियोजना पहिलक चरण - सर्व शिक्षा अभियान पूरा देश मे सुनियोजित रूप सं परियोजनापूर्व चरण प्रारम्भ करतय जे वितरण आ निरीक्षण (मॉनीटरिंग) पद्धति कें सुधार कयर क्षमता विकास कें कार्यक्र म चलएयतय.

गुणवत्ता पइर बल देनाय - सर्व शिक्षा अभियान पाठ्यचर्या मे सुधार कइर क तथा बाल केन्द्रित कार्यकलापक आ प्रभावी शिक्षण पद्धतियक कें अपना क प्रारंभिक स्तर तइक शिक्षा कें उपयोगी आ प्रासंगिक बनेवा पइर विशेष बल दइत छै.

शिक्षकक कें भूमिका - सर्व शिक्षा अभियान, शिक्षकों कें महत्वपूर्ण भूमिका कें स्वीकार करयत छै आ ओकर विकास संबंधी आवश्यकताअक पयर ध्यान देवय कें समर्थन करयत छै. प्रखंड संसाधन केन्द्र/सामूहिक संसाधन केन्द्र कें स्थापना, योग्य शिक्षकक कें नियुक्ति, पाठ्यचर्या सं संबंधित सामग्री कें विकास मे सहयोग कें जरिये शिक्षक विकास कें अवसर, शिक्षा संबंधी प्रक्रि याअक पइर ध्यान देनाय आ शिक्षकक कें एक्सपोजर दौउरा, शिक्षकक कें बीच मानव संसाधन कें विकिसत करय कें उद्देश्य सं तैयार कैल जायत छै.

जिला प्रारंभिक शिक्षा योजना - सर्व शिक्षा अभियान ढांचा कें अनुसार प्रत्येक जिला प्रारंभिक शिक्षा कें क्षेत्र मे समूचा एवं के द्रिन्त दृष्टिकोण कें संग, निवेश कें जानय वाला आ ओकरा लेल जरूरी राशि कें प्रदर्शित करय वाला एकटा जिला प्रारंभिक शिक्षा योजना तैयार करतय. एत एकटा प्रत्यक्ष योजना होयत जे दीर्घाविध तक सार्वभौमिक प्रारंभिक शिक्षा कें लक्ष्य कें प्राप्त करय कें गतिविधियक कें ढ़ाँचा प्रदान करतय. ओस मे एकटा वार्षिक कार्ययोजना एवं बजट हेतय. जइ मे सालभर मे प्राथमिकता कें आधार पर संपादित कै जावय वाला गतिविधियक कें सूची हेतय. प्रत्यक्ष योजना एकटा प्रामाणकि दस्तावेज हेतय जइ मे कार्यक्र म कार्यान्वयन कें मध्य मे निरन्तर सुधार सें हेतय.

सर्व शिक्षा अभियान में ग्राम शिक्षा समिति कें भूमिका

सर्व शिक्षा अभियान सरकार कें एकटा महत्वाकांक्षी योजना छै. सर्व शिक्षा अभियान कें घोषित लक्ष्य केंअनुसार एकटा निश्चित समय सीमा कें अन्दर सबटा बच्चाक कें शत-प्रतिशत नामांकन, ठहराव तथा गुणवत्तता युक्त प्रांरिभक शिक्षा सुनिश्चित करनाय छै. साथ ही सामाजिक विषमता तथा लिंग भेद कें सें हो दूर करनाय छै.

उक्त सबटा मुद्दाक समुदाय सं जुड़ल छै. यानी समुदाय कें ओय बारे बताएल बिना तथा ओकरा कार्यक्र म सं जोड़ेय बिना लक्ष्य कें प्राप्ति नहि कैल जा सकतय. ऐना सर्व शिक्षा अभियान कें अन्तर्गत सामुदायिक सहभागिता कें अनिवार्यता कें जोरदार ढंग सं राखल गेल छै. अइ मे ऐहन व्यवस्था कैल गेल छै जइ मे प्राथमिक तथा मध्य विद्यालयक कें स्वामित्व समुदाय कें पास सें हो तथा इ विद्यालयक कें किछू हइद तइक पंचायतक कें प्रति जिम्मेदार बनावल जैतय.सामुदायिक भागीदारी कें सुनिश्चित करय कें लेल अइ मे कईक टा व्यवस्था कैल गेल छै. प्रत्येक विद्यालय मे ग्राम शिक्षा समिति कें गठन एकटा ऐहन व्यवस्था छै. सर्व शिक्षा अभियान मे कार्यक्र म कार्यान्वयन कें प्रबंधकीय ढांचाक कें अन्तर्गत ग्राम शिक्षा समिति कें महत्वपूर्ण स्थान देल गेल छै आ अइ विकेन्द्रीकृत प्रबंधकीय व्यवस्था केंअन्तर्गत ग्राम समिति कें महत्वपूर्ण जिम्मेदारी सौंपी गेल छै.

स्त्रोत: सर्व शिक्षा अभियान अधिसूचना, भारत सरकार 2004 व 2005, राज्य संसाधन केन्द्र, मकान संख्या -251, कडरु, राँची -834002 (झारखंड)

अंतिम बेर संशोधित : 6/14/2020



© C–DAC.All content appearing on the vikaspedia portal is through collaborative effort of vikaspedia and its partners.We encourage you to use and share the content in a respectful and fair manner. Please leave all source links intact and adhere to applicable copyright and intellectual property guidelines and laws.
English to Hindi Transliterate