অসমীয়া   বাংলা   बोड़ो   डोगरी   ગુજરાતી   ಕನ್ನಡ   كأشُر   कोंकणी   संथाली   মনিপুরি   नेपाली   ଓରିୟା   ਪੰਜਾਬੀ   संस्कृत   தமிழ்  తెలుగు   ردو

किशोर वैज्ञानिक प्रोत्साहन योजना

भूमिका

किशोर वैज्ञानिक प्रोत्साहन योजना (के. वी. पी. वाई.) मूलभूत विज्ञान कें क्षेत्रक मे शिक्षावृत्ति कें एकटा राष्ट्रीय कार्यक्र म छै , जेकर की पहल एवं वित्त पोषण विज्ञान एवं प्रौद्योगिकी विभाग, भारत सरकार कें दूवारा मूलभूत विज्ञान मे अनुसंधान कें दिशा मे करियर जारी राखइ कें इच्छुक, असाधारण रूप सं अभिप्रेरित विद्यार्थियक कें आकर्षित करय कें लेल देल गेलय.

इ कार्यक्र म विद्यार्थियक कें अध्ययन मे ओकर प्रतिभा कें पहचाइने मे मदद करय छै एवं देश कें सर्वश्रेष्ठ योग्यता कें शोध आ विकास कें लेल तैयार करय छै. चयनित के. वी. पी. वाई. अध्येता कें पहिले कें पीएचडी स्तरक तइक छात्नवृति एवं आकस्मिक अनुदान प्रदान कैल जायत छै. अइ कें अलावा, के. वी. पी. वाई. अध्येताअक कें लेल देश कें प्रतिष्ठित शोध एवं शैक्षणकि संस्थानों मे ग्रीष्मकालीन शिविरक कें आयोजन कैल जायत छै.

अइ कार्यक्र म कें उद्देश्य अनुसंधान कें लेल आवश्यक प्रतिभा आ अभिवृत्ति वाला विद्यार्थियक कें पइहचान कयर, अध्ययन मे ओकर प्रतिभा कें पहचानने मे मदद करनाय, विज्ञान मे शोध कें अपन करियर बनावा कें लेल प्रोत्साहित करनाय आ देश मे अनुसंधान एवं विकास कार्य कें लेल सर्वश्रेष्ठ वैज्ञानिक प्रतिभा कें विकास सुनिश्चित करनाय छै.

शिक्षावृत्ति कें उद्देश्य

एकटा विद्यार्थी कें शिक्षावृत्ति कें अनुदान ओकरा मूलभूत विज्ञान मे ओकर रूचि कें विषयक मेअनुसंधान कें लेल प्रोत्साहित एवं प्रेरित करूं आ विद्यार्थी कें शोध करियर कें चयनित करय कें लेल प्रेरित करूं.

प्रकाशन

सभी राष्ट्रीय दैनिक समाचार पत्रक मे कें. वी. पी. वाई. शिक्षावृत्ति कें लेल विज्ञापन सामान्य रूप सं हरेक वर्ष प्रौद्योगिकी दिवस (मई 11) एवं जुलाई कें दोसर रविवार कें प्रकाशित कैल जायत छै.

चयन प्रक्रिया

अध्येताअक कें चयन ओ विद्यार्थियक मे सं कैल जायत छै जे एखन XI, XII तथा प्रथम वर्ष स्नातक (B.Sc./B.S./B.Stat./B.Math./Int. M.Sc./M.S.) कक्षा मे मूलभूत विज्ञान (गणति, भौतिकी, रसायन विज्ञान तथा जीव-विज्ञान) कें अध्ययन करय रहल छै आ वैज्ञानिक अनुसंधान कें लेल अभिरु चि रखयत छै. भारतीय विज्ञान संस्थान, बेंगलुरु मे गठित विशेष समितियक आवेदनक कें छंटनी एवं देश मे विभिन्न केन्द्रक पर अभिक्षमता परीक्षा कें संचालित करयत अछि.अभिक्षमता परीक्षा मे प्रदर्शन कें आधार पइर विद्यार्थियक कें एकटा लघु-सूची तैयार कैल जायत छै आ अइ विद्यार्थियक कें साक्षात्कार, जे चयन प्रक्रि या कें अंतिम चरण छै, कें लेल आमंत्रित कैल जायत छै.अभिक्षमता परीक्षा एवं साक्षात्कार, दूनू मे प्रदर्शन कें आधार पइर विद्यार्थियक कें शिक्षावृत्ति कें लेल चयन कैल जायत छै.

लिखित परीक्षा कें पाठ्यक्रम

लिखीत परीक्षा कें लेल कोनों नियमति पाठ्यक्र म नहिं छै. लिखित परीक्षा कें उद्देश्य विद्यार्थियक कें समझदारी आ विश्लेषनात्मक योग्यता कें परखनाइ छै, नयकि ओकर तथ्यात्मक जानकारी कें परीक्षण करनाय. तदापित विद्यार्थियक कें परीक्षण कक्षा -(जे उपयुक्त हाये) कें मानक पाठ्यक्र म पइर कैल जायत छै.

चयनित विद्यार्थियत कें लेल प्रशिक्षण कार्यक्रम

के. वी. पी. वाई. अध्येताओं कें मानिसक विकास एवं पोषण कें लेल अनेकों ग्रीष्मकालीन कार्यक्र मक कें आयोजन कैल जायत छै. अइ कार्यक्र मक कें मुख्य उद्देश्य अध्येताअक केंवैज्ञानिक खोज कें तरीकाक सं रूबरू करानाय एवं उनमें वैज्ञानिक अनुसंधान कें लेल स्थायी रूचि कें अंतिर्नर्विष्ट करेनाय छै. सामान्यत: एकर आयोजन ग्रीष्मकालीन अवकाश कें दौरान कैल जायत छै. अइ कें अंतर्गत के. वी. पी. वाई. अध्येता एक या दू सप्ताह कें लेलवैज्ञानिक संस्थानक मे कइक टा मूलभूत विज्ञान एवं संबंधित विषयक कें अनेकों विशेषज्ञों द्ववारा व्यखानक कें सुननएय, शोध वातावरण कें परिस्थितियक कें देखयत,विज्ञान केंकार्यान्वन मे रत वैज्ञानिकक कें कार्यरत देखयत एवं वार्तालाप करयत, समीप स्थित वैज्ञानिक अनुसंधान प्रयोगशालाअक एवं संस्थानक कें भ्रमण करयत, अन्य शोध विद्यार्थियक सं दृष्टीकोणक केंआदान-प्रदान एवं वार्तालाप करय में व्यतीत करयत छै. कखनों-कखनों विशिष्ट रूचि वालाअध्येता वैज्ञानिकक सं व्यक्तिगत रूप सं जुड़यत अछि. इ वैज्ञानिक अध्येता कें रु चियक कें बारे मे बात करयत अछि. हुनकर शंकाअक कें समाधान मे मदद करयत अछि, ओकर हल करय कें लेल प्रश्न देयत अछि, परीक्षण करय कें अवसर प्रदान करयत छी आ हुनकर रूचि कें क्षेत्न कें भविष्य मे विस्तार केंबारे मे जानकारी देयत छी.

अइ विषय मे बेसि जानकारी कें लेल भारतीय वैज्ञानिक संस्थान कें वेबसाइट पइर देखऊं.

अंतिम बेर संशोधित : 6/14/2020



© C–DAC.All content appearing on the vikaspedia portal is through collaborative effort of vikaspedia and its partners.We encourage you to use and share the content in a respectful and fair manner. Please leave all source links intact and adhere to applicable copyright and intellectual property guidelines and laws.
English to Hindi Transliterate