অসমীয়া   বাংলা   बोड़ो   डोगरी   ગુજરાતી   ಕನ್ನಡ   كأشُر   कोंकणी   संथाली   মনিপুরি   नेपाली   ଓରିୟା   ਪੰਜਾਬੀ   संस्कृत   தமிழ்  తెలుగు   ردو

खेती

  • agr1

    सतत आजीविका कऽ लेल प्राकृतिक संसाधनक प्रबंधन

    भारत प्राकृतिक संसाधन कऽ विविधता सँ भरल एक राष्ट्र अछि। प्राकृतिक संसाधन सँ भरल राष्ट्र कऽ जनसंख्या(आबादी)केजीविका कऽ स्त्रोत खेती अछि। आबादी आ संसाधन कऽ सतत्‌ प्रबन्धन कऽ आवश्यकता पड़ैत छैक।एकर जानकारी कृषि विभाग बराबर दैत रहैत छैक।

  • agr2

    कृषि आ संबन्धित गतिविधियाँ सँ लाभकारी रोजगार

    कृषि आ संबन्धित गतिविधियाँ जानकारी सँ नीक अवसर प्राप्त होइत रहैत छैक। किसान के लेल खेती मे बेहतर सम्पर्क, नीतिगत समर्थन आ जोखिम प्रबन्धन के जानकारी उपलब्ध कराव मे पोर्टल के पहल बड़ नीक छैक।

  • agr3

    खेती मे विज्ञान क साझेदारी आ उत्तम अभ्यास क अपनेवाक आवश्यकता छैक

    स्वदेशी प्रौद्योगिकी, नवाचार आ उत्तम अभ्यास के जानकारी अपन सहयोगी किसान(कृषक) बन्धु के देला सँ उनका मे आत्मविश्वास कऽ प्रादुर्साव होईत छैक। आजुक समय मे कृषक बन्धु के प्रभावी ज्ञान कऽ साझेदारी क आवश्यकता छैक।

फसल उत्पादन

फसल के नीक पैदावार के लेल आव वैज्ञानिक ढ़ंग सँ खेती करय पड़त। कम मेहनत मे नीक उत्पादक तखने होयतैय जखन नवीन प्रौद्योगिकी, कृषि आदान, कृषि उपकरण, मौसम, विपणन आदि के जानकारी रहवाक चाही। पहिने मौसम वैज्ञानिक के रूप में ''धाध'' ''डाक'' के द्रलोक सँ काज करैत छलाइ किसान लेकिन आव रेडियों के माध्यम सँ एकर जानकारी भेटैत रहैत छैक।

मछली पालन(माछ)

माछ, काँकोर, सजावटी माछ, पालन मिथिलांचल बहुत नीक छल, एकर वैज्ञानिक जानकारी प्राप्त क उत्पादन के ला सँ जल संरक्षण सेहो होइत छैक संगहि आ अहि लेल एक कहावत प्रचलित अछि जे ''पगि-पगि पोखरि, पान माछ, मखान'' इ थिक मिथिला क पहिचान।

सर्वोत्कृष्ट कृषि पहल (उत्तम खेती क पहल)

एक कहावत मिथिलांचल के प्रचलित अछि जे ''उत्तम खेती, मध्यम, अधमचाकरि, भीख, निदान'' तैं हेतु कृषि के उद्योग क दर्जा दय एकर वैज्ञानिक जाकारी सँ केला उपरान्त भारत राष्ट्र कृषि प्रधान देश कहावल छल।

कृषि नीति आ योजना

ई प्रभाग कृषि सँ संम्बन्धित नीति आ योजना, बागवानी, माछ पालन, गाँव के विकास के जानकारी उपलब्ध करवैत अछि।

कृषि साख और बीमा

ई प्रभाग कृषि सम्बन्धित नव-नव खोज के, कृषि ऋण का बीमा के जानकारी दैत अछि।

कृषि निर्देशिका

ई प्रभाग विभिन्न प्रकार के एजेंसि, कृषि, पशुपालन, माछ पालन, कृषि विज्ञान संस्थान, कृषि पोर्टल, मंत्रालय, कमोडिटी बोर्ड आ सम्पर्क सूची के बारे मे जानकारी दैत अछि।

कृषि आधारित उद्योग

कृषि अहइ के अंतगर्त मशरूम के खेती, मधुमाछी पालन, मखान के खेती, मसाला के खेती आदि के जानकारी प्राप्त भेला सँ किसान बंधु के कैंचा के नगदी फायदा होइत छै।

चर्चा मंच

कृषि चर्चा मंच सँ जुड़ल अनेक विषय पर विचार कै, विचार, सूचना आदि के आदान-प्रदान कैला स सेहो कृषि बंधु के फायदा होइत छै।

अंतिम बेर संशोधित : 12/4/2020



© C–DAC.All content appearing on the vikaspedia portal is through collaborative effort of vikaspedia and its partners.We encourage you to use and share the content in a respectful and fair manner. Please leave all source links intact and adhere to applicable copyright and intellectual property guidelines and laws.
English to Hindi Transliterate