অসমীয়া   বাংলা   बोड़ो   डोगरी   ગુજરાતી   ಕನ್ನಡ   كأشُر   कोंकणी   संथाली   মনিপুরি   नेपाली   ଓରିୟା   ਪੰਜਾਬੀ   संस्कृत   தமிழ்  తెలుగు   ردو

प्रधानमंत्री फसल बीमा योजना

प्रधानमंत्री फसल बीमा योजना

एकटा देश-एकटा योजना कें अंतर्गत इ नया योजना कें बनएल गेल छै. सबटा योजनाअक कें समीक्षा कयर नीक फीचर शामिल कयर किसान हित मे आ नया फीचर्स जोइड़ कं इ फसल बीमा योजना बनैल गेल छै. अक्ष प्रकार इ योजना पुरान केहनों भी योजना सं किसान हित मे बेहतर छै.

वर्ष 2010 सं प्रभावी मोडीफाइड एनएआइएस मे प्रीमियम बेसि भ जै कें दशा मे एकटा कैप निर्धारित रहल छलय जइ सं की सरकार कें द्ववारा वहन कै जै वाला प्रीमियम राशि कम भ जायत छलय , परिणामत: किसान कें भेटय वाला दावा राशि सें हों अनुपातिक रूप सं कम भ जायत छलय.

प्रधानमंत्नी फसल बीमा योजना मे 30 हजार सम इंशोर्ड पर 22 प्रतिशत एक्चुरियल प्रीमियम आवा पयर किसान मात्र 600 टाका प्रीमियम देतय आ सरकार 6000 हजार टाका कें प्रीमियम देतय. शतप्रतिशत नुकसान कें दशा मे किसान कें 30 हजार टाका कें पूरा दावा राशि प्राप्त हेतय. अर्थात उदाहरण कें प्रकरण मे किसान कें लेल प्रीमियम 900 टाका सं कम भ क 600 टाका. दावा राशि 15000 टाका कें स्थान पयर 30 हजार टाका.

विशेषताक

  • बीमित किसान यदि प्राकृतिक आपदा कें कारण बोनी नहि कयर पेतय तं इ जोखिम सें हों शामिल छै ओकरा दावा राशि भेट सकतय.
  • ओला,जलभराव आ लैण्ड स्लाइड जैना आपदाअक कें स्थानीय आपदा मानल जैतय. पुरान योजनाअक कें अंतर्गत यदि किसान कें खेत मे पाइन भरय (पाइन में डूइब) भ जायत तं किसान कें भेटय वाला राशि अइ पयर निर्भर करतय कि यूनिट आफ इंश्योरेंस (गांव या गांवक कें समूह) मे समूचा नुकसान कतैएक छै. अइ कारण कतेकों बेर नदी नाला कें किनारे या निचला जमीन मे स्थित खेतक मे नुकसान कें बावजूद किसानक कें दावा राशि प्राप्त नहि होयत छलय. प्रधानमंत्री फसल बीमा योजना में एकरा स्थानीय हानि मानकर केवल प्रभावित किसानक कें सर्वे कयर ओकरा दावा राशि प्रदान कैल जतैय.
  • पोस्ट हार्वेस्ट नुकसान सें हों शामिल कैल गेल छै. फसल कटैला कें14 दिन तइक यदि फसल खेत मे छै आ ओइ दौरान कोनों आपदा आयब जायत छ तं किसानक कें दावा राशि प्राप्त भ सकतय. योजना मे टैक्नोलॉजी कें उपयोग कैल जतय जइ सं की फसल कटाई/नुकसान कें आकलन जल्दी आ सही भ सकय आ किसानक कें दावा राशि जल्दी भेट सकय. रिमोट सेंसिंग कें माध्यम सं फसल कटाई प्रयोगक कें संख्या कम कैल जतय. फसल कटाई प्रयोग कें आंकड़े तत्कल स्मार्टफोन कें माध्यम सं अप-लोड करैल जतय.

देय प्रीमियम राशि

प्रधानमंत्नी फसल बीमा योजना कें अंतर्गत फसल कें अनुसार किसान द्ववारा देवय प्रीमियम राशि बहुत कम कयर देल गैल छै.जे निम्नानुसार छै:-

क्र. सं.

फसल

किसान द्वारा देय अधिकतम बीमा प्रभार (बीमित राशि का प्रतिशत)

1

खरीफ

2.0%

2

रबी

1.5%

3

वार्षिक वाणिज्‍यिकएवं बागवानी फसलें

5%

स्त्रोत: पत्र सूचना कार्यालय,भारत सरकार.

अंतिम बेर संशोधित : 2/15/2020



© C–DAC.All content appearing on the vikaspedia portal is through collaborative effort of vikaspedia and its partners.We encourage you to use and share the content in a respectful and fair manner. Please leave all source links intact and adhere to applicable copyright and intellectual property guidelines and laws.
English to Hindi Transliterate